Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani | Lyrics of Maithili Song

Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani Maithili Ganga presents जय जय भैरवि असुर भयाउनी- Maithili Devi Geet – Kunj Bihari Mishr Devi Geet 2017

Song Details:

Album – Durga Vandana
Singer – Kunj Vihari Mishr
Label – Ganga Cassette

Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani | जय जय भैरवि

जय जय भैरवि असुर भयाउनि
पशुपति भामिनि माया ।
सहज सुमति बर दिय हे गोसाउनि
अनुगति गति तुअ पाया ।।

बासर रैनि सवासन शोभित
चरण चन्द्रमणि चूडा ।
कतओक दैत्या मारि मुँह मेललि
कतओ उगिलि करु कूडा ।।

सामर वरण नयन अनुरंजित
जलद जोग फुलकोका ।
कट–कट विकट ओठ पुट पाँडरि
लिधुर फेल उठ फोका ।।

घन–घन–घनन घुघुरु कत बाजए
हन–हन कर तुअ काता ।
विद्यापति कवि तुअ पद सेवक
पुत्र विसरु जनु माता ।।

Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani Youtube Video:

 

Lyrics of Maithili Song

Leave a Comment