Ke Patiya laya Jayeta re – Maithili Song It’s a popular lyrics of Mahakavi Vidyapati, which is performed by different artist in their own way but the basic melody is the same.This is just a modern rendition of this song to connect the young ones to reach wider audience globally.
Ke Patiya laya Jayeta re | के पतिया लए जाएत रे
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास । हिय नहि सहय असह दुःख रे, भेल साओन मास । के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।
एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए । एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए । सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए । सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए । के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।
मोर मन हरि हरि लए गेल रे, अपनो मन गेल । गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल । गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल । के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।
विधापति कवि गाओल रे, धनि धरु मन आस । आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास । आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास । के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास । के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।